Online TransLiteration by girgit.chitthajagat.in, of http://www.videha.co.in/new_page_21.htm Disclaimer
You may also see this page in Bangla, Devanagari, Gujarati, Gurmukhi, Kannada, Malayalam, Oriya, Roman(Eng), Tamil, Telugu
logo logo

वि दे ह

पथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

मानुषीमिह संस्कृताम्

ISSN 2229-547X VIDEHA

विदेह नूतन अंक पद्य

India Flag Nepal Flag

(c)२००४-१२.सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतय लेखकक नाम नहि अछि ततय संपादकाधीन।

वि दे विदेह Videha बिदेह http://www.videha.co.in विदेह पथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Ist Maithili Fortnightly e Magazine विदेह पथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका B R E A K the Language Barrier - Read in your own script Roman(Eng) Gujarati Bangla Oriya Gurmukhi Telugu Tamil Kannada Malayalam Hindi नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू।

कामिनी कामायनी


शकुनतला


सिनेह सॅ सींचल . .. ड़ूमरिक फूल. . . .
स्वप्नमय जीनगी के. . . छाहरि मे टहलैत. . .
गुनैत. . . मृग शावकक पाछॉ दौगैत .. . . . .ठिठकैत. . .
कलि कलि. . .कुसुम .कुसुम के
अपन सिनेहक ताग सॅ गॉथैत. . . बांधैत. . . .
सजाबैत. . .संभारैत. . .औचक एक दिन. . . . .
अनचिन्हार सन. . . . धून लागल जाङक मास
सब किछु झलफल. . . कत्तौ किछु नै स्पष्ट. . . .
आ’ ओहि अस्पष्ट सन. . नदी के तल पृष्ट मे
एक गोट मनोहर. . . बलिष्ट . .. आहृलादकारी. . . जोद्वा. क’
बिंब. . . .उभरि .. . . .. वेगवान वायु क’ संपर्क सॅ. . .
असंख्य पतिबिंब मे परिवर्तित होईत. . .
क्षणांश .. . मे तिरोहित भ’ उठल.. . .मुदा ओ एक क्षण
. . . . .कएक दिन . . . मास. . . धरि. . . मुस्कैत. . .पैघ .पैघ मादक
ऑखि सॅ .. .. .
प्रेमक हकार. . पठबैत. . . पकृति पुरूष.क’ ताक झॉक . .
ऋषिकन्या के बेकल करैत .. . .
ऑखि ऊपर उठाक’ . . . .रहस्यक अवलोकन करय लेल. . .
. . चहु दिस हेरैत. . .कमलाक्षी .... . . ..सन्न. . . . ।
अपन सोझा ठाढ .. . विशाल चुंबकक़ . .पभाव सॅ . .. धकधक करैत हिय के संभारब मे असमर्थ. . .. माथक अवगुंठन. . .कनि नीचा तीरैत. . . .पफुल्लित ... . सरोरूद .. . .मुखमंडल के झॅपबा के कम मे उठेलक हाथ . ।..
झट सॅ ओहि मृणालसन. . . हाथ के थामए लेल . ... .बढि गेल छल उष्ण .. .शोणित सॅ पवाहित . . मजगुत .. पौरूष हाथ .. .
धङफङी मे नजरि स ॅनजरि मिललै. . . आ’ बिजुरि चमैक .. .ठनका सन खसि पङल रहै माथ । . .
ई साक्षात. . . स्वर्गक अपसरा. . . जौं होईत हमर सहचरा. . .
अनेकानेक द्वन्द्व क’ शिकार मे .. . फिरीशान . .फिरीशान . ..
ओहि सुन मसान . ..घाटक .. .कात मे. . . प्रेमक पथम वल्लरि जनिमते .. . पफुल्लित भ’ उठल . .. तीर तरकस कामदेवक .. . खेल खेलाङी विधाता . .. लेखनहार सेहो स्वयं ।
ई ज्वर. . .बढैत. . . .चढैत .. . .दिमाग के करय लै गस्त .. . कएल अपन सबटा अजगुत. . .पॉख़ि . .पशस्त. .।
स्वछंद विचरैत आगि .. .
खिच्चा पकृति .. .के. ..करबा लेल तबाहि
जोहि रहल छल बाट. . .
आगंतुकक ठाठ. . ..
छल सॅ भरल . . .अपन सिनेहक’
पथम निशान. . . .. सौपैत स्वर्ण मुद्रिका. . . ..
यश. . . कीर्ति. . . सुनामक़ . .ध्वजा फहराबैत. . . .
फेर अयबाक बोल भरोस दैत. . . .
कएक दिवसक अन्तराल . . . .गाछ तर . . . बान्हल .. . अश्व प’. . . . आरोही. . .ओहि . . . घन घोर जंगल मे जाईत रहला. . . . जखन दूर धरि. . . ओकर पीठ हेरैत. . . .निहारैत .. . कुमुदनी. . . .
पीपनी खसेनाय बिसरि गेल अपन .. . .।
ई सब एतेक शीघ. . . .
अनायास .. .
कोना भ’ गेल .. . .षङयंत पकृति केर. ..। .
ओ कोमल स्पर्श. . . .
पानि मे ऊब डूब .. करैत. .
एकटा. . . रस लोलुप भमर ..
दोसर कॉच कली. . . . .
अहि ज्वर भाटा मे डूबए लेल मात कलि. . .
उङि चलल . .. रसपान करि. . .सुआरथी जीव .. .
अपन देश .. . अपन गली. . .।
ऑखि मे चमकैत .. .अतीतक’ मोहकता .. . .
ओ सुन्नर चितवन. . . ओ मादक चपलता .. . .
ठिठकल सन घर मे. . . .बिसरल सन रस्ता. . . ।
सखि बृन्द बेहाल .. .देखि कुसुम गुमसुम .. .
हेरायल हेरायल चालि .. . .
क्षण मात लेल. . .जे नहि कहियो स्थिर. . विदयुतलता. . .
आखर सॅ पहिने हॅसी निकसै ठोर सॅ. . .
नव तरू. सन. . ड़ोलैत ओ भामिनी .. .
आय हठात .. . किएक . . .एना गुम .. . .
फराक .फराक बैसल .. .
एसगर ताकि रहल अछि उदास. . . .
गुलाबक खिलल फूल प’ .. .
म्ॉडराति . . . गुनगुनाति .. . चमकैत कृष्ण वर्णी छलिया .. .
के बेतहास .. . ।
छिटकल छिटकल सब सॅ. . .
नहि जायत अछि संगे नहाय .. . .
नदी. . . वा फूल लोढय .. . फूलवारि .. .
सदिखन ऑखि मे नोर .. .
भेल भाव विभोर. . .
मुसैक उठैत अछि कोने.ा पहर. . .
तोङैत डारि. . .दोसरे क्षण. . .
घरक पछुआति . ..मालिनी केर .. . जलधार मे
फूलके खोंटि . .खोंटि क’ करैत पवाहित .. .
हेरैत अछि . . .शांत .. .नील. . .आसमान .. .
हिमालयक कोरा मे .. .पकृतिक झोरा सॅ. .
निकासैत अछि पुष्पदल .. . भ’ भ’ क
विहृवल. . . .
कखनो क’ विहुॅसि क’ बजैत अछि स्वगत. . .
ई वियोग घङी. . .अपनहु के .. . केहेन लागैत होयत कांत. ..
एक प्राण आ दू काया . ..
के रचल ई माया .. . ।
एतेक दिवस बीत रहल
.. .. लेलथि कत्त. . .खोज खबरि. . .।
हे नदी . .. . माते . . . साक्षी अहीं. . . . ओही गंधर्व परिणय के. . .
एतेक विलंब तखन किएक भेल .. .
बहै छन्हि .. . दूनू ऑखि हर हर. . . .
सोझा राखल. . . समिधा के जारैन. . .
तोङैत अनेरे. . .बनाबैत. . बाढनि .. . .
कखनो बैसल कखनो ठाढ .. .
तखने याचक आयल द्वार. . . .
देखि घरक फूजल केवाङ. . .
पाषाणी. . . मुस्कैत .. . छवि के निहारैत. . .
चलला भिक्षुक़ .. चुट्टा झमकारैत .. .
एहेन ओहेन नै ओ. . .ऋषि दुर्वासा. . .
जिनक शब्द मात छल गङा.सा .. . .
कि बिसरि जाए ओ जिनक यादि
मे छै डूबल. .
टटा रहल छी हम कएक सांझक भूखल .. . .
दौगल सखी. . . .ई की कहल हे भिखारी . .. .
नहि अछि सुध मे हम्मर कुमारि. . . .
मुदा ताबैत .. .ओ वाक मुॅह सॅ निकसि. गेल .. .
उध्र्वगामी हाथ .. .क्षण मात लेल ठहरि गेल. .
ई की केलन्हि . . . विधाता हम्मर कंठ स्वर सॅ. . . कोना
बॉचव आब हम अहि कलंक सॅ. .
कमंडल सॅ चुरू भरि जल ल’ क’
फेंकलन्हि सकुन प’ अभिमंत्रित करि क’
इतिहास. क पन्ना प’ रहब अहॉ छापल ..
पतापी पुतक जननी कहायब. .. .
एखन त’ भोगय पङत हम्मर सराप .. . .
किछु बॉचल अछि अहू के
ओही जनमक पाप ..।
सखी सब तखन. . . विलखिक .. . आशम मे दौगल. . .
देशाटन सॅ आयल कण्व सॅ कहल छल .. .
“हे तात .. . अपनेक . . .परोक्षक .. खिस्सा. . .
सकल आशम के बिलटा रहल अछि .. . .
गुमसुम .. .सूकू केर. . .प्राण आब बचाऊ. . .
आ’ दुर्वासा क’ सराप सॅ एकरा हटाऊ ।
चहुॅ दिस अंधार भ’ चमकैत बिजुरि संग .. .उल्कापात भेल होय. . .सून .. . . चान्ह आबि गेलन्हि .. . .
धम्म सॅ कुशासन प बैसि
माथ हाथ. धेने ऋषि .. .
कर्णकुटीर मे .. . ई केहेन पलयंकारी .. ..संदेश .. .
सौर मंडल मे .. . चक .चक करैत चन्दम ासन मुखवाली शकुन के .. . अम्लान पंकजक ई हाल. . .
जेना मुठ्ठी भरि छौर रगङि देने होय कियो .. .
विरहाकुल. . .विवस पिता. . के. . सहजहीं मे देखाय पङि गेलन्हि . .. भविष्यत शेष .. . .
आगामी संकट सॅ सहमि क’कानि .. . .वा .. .दूरस्थ भवितव्य सॅ .. .मुदित मुस्काबी . .
नहि जानि पओला . . ऋषि विशेष. . . . .।
सखा मीत गण आबि सूझेलकैन्ह बाट .. .
हतोत्साह किएक गुरूवर .. . . .
अहू नदी के . . . अवस्स हेतय कोनो नै कोनो घाट. .. .
बाल्यकाल मे पिता आ’ यौवन मे पति भवन .. .
आब हम सब आन .. . .ओ अप्पन .. . .
चलैत चलूू करए लेल उपाय .. . .
करब नै ताधरि विराम .. .
विदा करब .. . सजा धजा क’ .. . पुष्पक महफा . ..
तरू वल्लरिक झालरि . ..
शीघ गमन करैत .. .सखा बंधु .. .
कुल गौरवक परिचय दैत .. .
षोङषोमंत्रोपचार सॅ देवी के पूजन अर्चन करैत. . .
स्नेहिल .. सकुन के स ंग चलबा लेल उताहुल भेला त’
.. . . मुदा आगॉ पाछॉ. . . जङि. चेतनक हाल विचित .. .
श्यामा. . . कजरी .. . धनि .. . चतुरंगि .. .गोला .. गौ . . . बाछा .. बाछी. . .रंभैत. . .रंभैत. . .
ध लेलक़ . .पछोर .. .
आन पशु पाखी .. .
मेष .. . वृषभ .. . मृग .. . तोता .. .मैना .. . सकुन पाखीक’ झूण्ड .. . संरक्षित भेल छल जेकर सानिध्य मे . . .
शिशु सकुन. . .
खंजन. . . कचबचिया .. .
सूझै नै किछु .. .देखाय नै पङै बटिया .. .
बिलखैत .. .बिसुरैत .. . छाती पीटैत .. .दाय . .. पितियानि ..
पीसी माय .. . .सखी सम्पदाय .. . .
कोढ फाटय वला बिछोह सुनि .. .
गाछ बिरीछक जङि डोलायमान .. .
अपन लता गुल्म सॅ .. . डारि नीचा करि .. .
छेकए लगलै. . .महाभागक बाट ..
.क़ि . . .सून करि क’ अहि आशमके. . . .कतए नेने जाय छी सौभाग्य. .
पाछॉ मुङि तकने छलहि .. . .
मृगनैनी अश्रुपूरित ऑखि सॅ. . . . .
छुटि रहल अछि .. .
ई माटि .. . ई पानि. . . ई गाम .. .ई धाम .. .
ई लोकवेद .. ई पशु पखेरू. . . ई सखी समाज़ . .
कतए सुनब. . .ई स्वर. . .ई साज .. . .
फटि रहल छलन्हि. . .हुनको हिय .. .
अहि विदागरी क’ मर्मान्तक कष्ट सॅ. . .
कानि रहल छलीह. . .असंख्य नोर ..
थमि गेलन्हि पएर .. .कएक क्षणक लेल. .
मुदा मचबए लगला .. .पुरूखगण सोर .. . .
आ’ नहुॅ नहुॅ करितो. . . अङियातए आयल लोक .. .
आपस भेल. . .हृदय मे भरि क’ शोक .. .
कतेक सून ई आशम . ..जतए कल कल बहैत. . .
धार सन. . .
सबहक़ . दुख सुख़ . .क’ चिठ्ठा लिखैत. . .
हॅसैत. . गलबहियॉ दैत. . .ऑखिक तारा .. .सकुन .. .
नैहर तजि .. .आय सासुर चलि जाय रहल छली. . .
दूर देश. . .जतय कियो अप्पन नै. . .मात . .नेहक पतीक पति. . .आ’ हुनक प्रारब्ध .. . .।
मुदा दौगल चलल भाग्य. . हुनका सॅ पहिने.. . ..
आ’ रचल सब टा. . कुचक. . . .बिन ककरो कहने .. .
दोख काल. . ओही माछ के देल. . .
आंगुर मे गस्सल मुद्रिका जे गीड लेल .. .
तखन अहि प्रेमक मात एक जीबैत निशानी. . .
श्वॉस लैत गर्भ मे. . . .एक कोमल सन प्राणी. . . . ।
एतय राजा के गौरव फराक़ . . .
बहराय धाखे नै किनको मुॅह सॅ वाक़ . .
ऋषि के निवेदन प’ तमैक ओ उठल छल. . .
के. . . ई. .. .दुष्पचार लेल. . .खिस्सा गढैत अछि . .
जौं हमरे अछि ई गर्भस्थ . प्राणी. . .
हेतै . .त’ अवस्स कोनो हमरो निशानी. . .
चेन्हासि. . . चिहॅुकि .. कुंतल .. . आंगुर निहारै छथि. . .
नहिं बॉचल अछि .. .आब कोनो पमाण .. .
देखल नहिं प्रिया के तिरछियो नजरि सॅ
तिरस्कार कयल सबके वचन सॅ
एकांतके भावुक .. .रसिक ई सखा. . . .
समस्त जन के सोझॉ बनल बघनखा .. . .
सहस्तों नौह सॅ मुॅह नोईच रहल अछि. . .
असंख्य खापङिक’ कारिख़ . .हमरा मुॅह प’ पोईत रहल अछि. . . बहैत बरसाती नदी बनल धार दार नोर .. .
केहेन मिथ्या. . .. . . कपट .. . छल. . .कत्तेक फुईस ई सोर .. . . . दुनु हाथ सॅ पोछैत अप्पन नोर. . . . .
देखैत अछि .. .उचुकिक’ राजा के झॉकि .. .
दया .. . प्रेम. . विह्वलता तुरंते छटि गेल. . .
आ’ खंजन नयन मे .. . .विद्रोहक लुत्त्ती .. .भडकि गेल. . . .
विश्वामित आ’ मेनका के शोणित फन फन करैत .. .
करय लागल किल्लोल. . .
हन हन रणचंडी .. सन .. .
हुंकारय लेल. . .
भरल दरबार प’ नजरि एकटा फेरैत. . .
क्रोध सॅ कॉपैत .. . महाराज के हेरैत .. . .
जोर .जोर आबैत जाईत श्वॉस के रोकैत. ..
उठौने छल अप्पन दहिन हाथक आंगुर. . .
करैत सिंहासनदिस ईसारा .. .
कनि काल लेल सभासद की. . . बहैत बयार धरि चुप्प. .
कोटि कोटि ऑखि उठल एक संग़ .
फडकि रहल छल हुनक बाम अंग़ .
एतेक पैघ छल. . .
भेलै नहि आस्था आ’ विश्वासक जीत. .
आ’ अछि कनियो नहि ई पाखंडी भयभीत. . .
कनि काल . बिलमैत. . .कहल विचारि. . .
हमनै कत्तौ सॅ . . .कनियो अबला नारि .. .
करमक गति स्वीकार अछि हमरा. . .
मुदा जाय छी हम सब सॅ आब कटि क . .
नै भिक्षा हमर जीवन के संभारत. . .
नै ककरो निठुरता जीवन के उजाडत. . .
अपने की त्यागब .. हमहीं अहॉ के तजै छी ..

जाईत जा. ईत ई भाषा भखैत छी. . . .
जे ढोंग परिणय. . .के करि क’ जरौलक चिता प’ .. . .नहि .
करथिन्ह माफ ओकरा कहियो विधाता .. .
तडपतै. . .माछ सन रौंद सॅ धिपल बौल मे..
सिनेहक छॉह लेल ओ रेगिस्तान मे भटकतै .. .

चपल वेग सॅ ओ चंचल चलल छल .. .
हिय मे कत्तेको के हूक सन उठल छल. .
ई लचकैत कॉच करची सन काया .. .
ई जननी के ताप . .. . कि अदृष्टक’ माया. . ..
मानस पिता नोर ढर ढर बहौला . .. मुदा मानिनी
अपन पण सॅ हटल नै .. .
अनचिन्हार बाट प’ उठल जे पग छल .. .
ओ साहस. . .निश्चय ..... . . कर्मठता सॅ भरल छल. . . .
बनल नै बिरिहिन . नै .. .. साधु संन्यासिन . .
जनम द’ कुम्मर के रहल जंगल वासिन .. .
सिंहासन . ..त नहि छल . ..परंच खटिया .. .पटिया .. .
बैसि राजरानी ओ अडा जमौलक़ . .
हुनक रूप आ’ गुण सॅ वशीभूत. . .सिनेहक भरल पात ल’
लोक दौगल. .
पिता के सिखाओल ओ धर्मगत वाणी. . .
ओ क्षात कर्मक सुृदृढ रस्ता .. . . . .
अघोषित . ओ रानी .. . बसल सबहक हिय मे
आ’ कण कण के आदर सॅ पुष्पित . ओ जीवन. . .
गूॅजल जखन ओत्त पथम किलकारी. . . .त’ हर्षित विधाता .. .
पफुल्लित नर नारि. . .
बजौलक बधैया के ढोलक .. .मॅजीरा. . .
संगहि बजौलक .. .लोटा . ..आ’ थारी .. . .
इएह आब संगी. . . .नाता मीत. . .गोतिया. . .
हिनके सानिध्य मे पलैत बाल शासक़ . . .
गोर. . .भुर्राक़ . .पुष्ट ओ बालक़ . .
स्फूर्ति. . ..अजब. . .तेज सॅ ओ भरल छल. . . .
करैत मल्ल जुद्व . . . .संगी बनवासी नेना संग़ . .
सबके करैत क्षण मे चीत्त ओ चलैत छल .. . .
सूतल सिंह शावक के दुलारैत मलारैत. . .
उठल शावकक संग दौड लगबैत रहैत छल. . .
गिनती सिखल. . .सिंहनी के दॉत गिन गिन. . .
मतारी के सुनबै. . .निरदोष बालक़ . .
नै अश्व के .. . . सेर के आब नाथब .. .
आ’ माता हुलसि क’ गरा सॅ लगाबैत .. .
पठाबैथ फेर सॅ युद्व के गुर सीखा क’ .. .
कोना सैन्य .. . बढत .. . न्याय करब त’ कोना .. .
केहेन कूटनीति सॅ .. . रिपु हेते पराजित . ..
पाठ पढि जननी सॅ आबैथ. . ..
संहतिया प’ आजमाबैत . .. .
वनवासी गरब सॅ निहारैत. . . .
रानी के पूत . . .सिंह के पछाडैत. . . .
चट्टान् ासन महिषि. ठाढ पाछॉ. . .
नै चिन्ता फिकिर . . . . .नै भयगस्त काया . ..
विचार मे घोरैत. . ..अमिय के पियाला .. .
आ’ काया मे ढारैत पौष्टिक निवाला. . . .
भरत नाम्नी ओ जे राज बनल छल. . .
ओ शकुन के जीवन के धन धन कयल छल. .
.. . . .. . .. .खिस्सा बाद के जे रहल होय. . .
रहल अनभिज्ञ .. सत्य सॅ जग सदिखन. . .
राखि देने छल. .दोष हरय लेल .पुरूषस्य चलित्तर के .. . .
दुर्वासा. . .वा .. .माछक’ गप .. . .
सुनल हेता .. . राज़ा. .भरतक डंका. . अजस्त. . .
. . .
. .बल. . . .शौर्यक .. . .साहस के खिस्सा जानै कएक सहस्त. . . .
एतेक . टा सामाज्य. . मुदा. . कत्तो नहि उत्तराधिकारि .. .
ऊपर सॅ आसन्न वृधावस्था. . ..
चिंता नीत बढाबै. . .छल .. .
मंति .परिषदक सलाह मानि .. .
ओही जंगल दिस कूच केलथि. . .लिखल. .जतए .. पात .. पात. .प’ वीर. . . राजकुवरक नाम. . . . .
देखल जे आनंदकारी .. .रूप. . .गुण . ..सॅ भरल देह. . . मात .. .
पिता के नाम सुनि .. .क़ रेज औचक धडकि गेल. . .
आंखिक सोझा .. .व्यतीत .. .करय लागल किल्लोल. . .
ओ पाखीक गीत. . . .पकृति. . .ओ कुंतल . .हास्य स्मित .. .
बरखों पहिनुका सूखल घाव. ...मे . .. टीस मारल असंख्य .. . .
ई. . .की कयल. . विधाता .. . राखि .. .हमरे कान्ह प’ तीर. . .
हमरे. . .. तनुज .. .हमर अंश ई. . . आय ठाढ़ . .कत्तेक गंभीर .. . .
मात. . .शकुन. . . चेन्ह सकैत अछि. . .हमर पवित . .. सिन्ोह. . .
बौआबैत .. .अतीत मे.. .. . . चलला .. . .बालकक पाछॉ .. .
भयौन वन .पदेश . . .. वर्जित . ..जतय .. .भास्करक पवेश .. .
दहाडैत .. .चहुॅदिस .. . भौल .. .हाथी. . . बब्बर सेर. . . .
ओकरे संग दौगैत बाल्य भरत .. . .धेने सम्राटक हाथ .. .
.. . . पदमासन मे बैसल . . .साधना लीन. . .
लग मे होईत सोर .. औंचक मे देलि ऑखि फोलि. . .
पत्यक्ष ठाढ . ..क’ल’ जोडने शासक ..
पुतक पाछॉ. . . ऑखि मे भरल. . प्रायश्चितक भाव .. .
पाकल केश .. . झूकल छाती .. .आगॉ के दू दॉत टूटल. . .
मन मे कनियो कोनो भाव नै उपजल. . .
ओ ओहिना स्थिर. . . .
माता के हाथक ईसारा .. . .दैत कुसासन .. .
भरतक संग . . .गहण कयल. . .नृपनंदन. . .
चकित .भाव सॅ नहि हेर सकला. ..चहुकात .. .
सकुन के मुख मंडल . . . एकदम सपाट. . .
काल .. दुबकि क’ लागल छल कोनटा .. .
ई सबल नारि . . .फाटत की नहि प्रियतम . .समक्ष ..
त्रिया चरितक अ’ड मे खेलत खेल कोनटा. . . .
कनतै .. .खींझतै. . . .छिडियेतै. . . .तिरस्कार .. .
आरोप .. .पत्यारोप. . . .
मुदा . . .नहिं किछु एहेन सन .. .
अकूत. .धैर्य. . . .सहज स्वर .. .कनियो नहि तिक्त. . .
कनियो नहिं लोहछल. . .
स्वर फूटल छल सहज सुमंगल. . . .
चिन्ह गेलौ. . राजन. . .हम अपन सिनेहक बंधन. . .
नहि चाही हमरा कोनो चेन्हासी ..
नहि राज मुद्रिका. . .नहि कोनो कंगन. . . .
पथम प्रेम के उपजल फसिल. .
अछि उपस्थित अहीं के समीप. . .
बॉहू .. ...बल. . ..बुद्वि मे अहूॅ सॅ बीस. .
कहि रहल अछि लोक चहू दिस. ..
स्वीकार्य होयत त’ अपने के सौभाग्य .. .
ओकरो गौरव .. .पिता के हाथ. . .
रहतै माथ .. . त’ दिग्दिगंत. . .
हेतै स्तुति .. .बजतै .. .घडीघंट
भेल समाप्त. . .उत्तरदायित्व हमर .. .
भावी सम्राट के गढब के. . .पोषब के. ।. .गहण करू हमर नमन. . .
हम आ ब परम स्वतंत. . .
स्नेहसिक्त हाथ भरत प’ फेरौलीह. .
आ’ राजा के चरण मे माथ झूकाक’
पस्थान अपन मातृकुल लै भेली . .. .।

ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ।